यौ डमरू धारी

Yau Damaru Dhari

यौ डमरू धारी बसहा सवारी
गेलिये आहा कोन गाम यौ बाबा
ताकब आहा के को ठाम

यौ भूतनाथ अहि करबै सनाथ
बेर बेर करै छि प्रणाम यौ बाबा
जपै छि आहा के नाम

कपिलेश्वर बीदेश्वर तकलौ
उगनेश्वर सिंघेश्वर तकलौ
शिव नगर कुशेश्वर तकलौ
कत नुकेलौ यौ बालेश्वर
मुनने किये छी कान यौ बाबा
आहाँ के जपैछि नाम

बाबा विश्वनाथ पूजलौ
बाबा वैद्यनाथ पूजलौ
महिनाम घाट जे के
बाबा भूतनाथ पूजलौ
को कसूर भेल है चंद्रेश्वर
बालक छी हमरा नैये ज्ञान
आहाँ के जपै छी नाम

त्रिभानी लबानी जैरसो चौगमा बहेड़ा
आशापुर धरौरा मझोरा पौरी में डेरा
बिठौली शिबराम पोहद्दी महिनाम में डेरा
बेनीपुर श्यामा मियूजिक स बाबा
प्यासा करइये गुणगान यौ बाबा
आहाँ के जपै छी नाम

Leave a comment