देखलौ हम आहे गौरी नईहर तोर

Dekhlau Hum Aahe Gauri Naihar Tor

देख लो हम आहे गौरी
नईहर तोर. गौरी नईहर तोर

भात देलैन अखरा दैलक झोर
तिमन चखैत गौरी
लहरइये ठोर गौरी नईहर तोर

बथुआ के साग में निमक बड़ी जोर
दूध नहीं दही देलक
माहुर के घोर. गौरी नईहर तोर

नै थारी देलक बाटी देलक लोटा देलक टीन
पनिया पिवैत गौरी
होइए छीना छीन. गौरी नईहर तोर

नईहर के बात पर किए छी मुहजोर हे गौरी
तिशी के तेल में
तरल तिलकोर. गौरी नैईहर तोर

गौरी कहइए बाबा अब कल जोर
उकटू सदाशिव जुनी
नईहर मोर. बाबा नईहर मोर।।

Leave a comment